नेपालक राजधानी काठमांडु मे मैथिल युवा सब मिलिजुलि विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनेबाक तैयारी कए रहल अछि।
एहिबेरक कार्तिक धवल त्र्योदशीक तिथिपर काठमांडु मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजनाक निर्णय कैल गेल अछि। युवा अभियानी प्रशान्त अर्जुन झा केर नेतृत्व मे होवय जा रहल ई आयोजन दुइ दिवसीय समारोहपूर्वक कैल जायत जाहि मे चर्चित – समर्पित युवा अभियानी निराजन झा सेहो अपन सक्रिय योगदान देबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलनि अछि।
नवम्बर ११ आ १२ तारीख केँ प्रस्तावित एहि आयोजन पर अनुमानित ३० लाख खर्च आओत आर नेपालदेशक दोसर सबसँ पैघ बाजल जायवला राष्ट्रभाषा मैथिलीक इतिहास मे ई एकटा अविस्मरणीय कार्यक्रम कहाओत, संयोजनकर्ता प्रशान्त अर्जुन झा मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि अछि।
मिथिलाक उत्कृष्ट गायिका रन्जना झा, रजनी पल्लवी आर पुनम मिश्रा केँ एक्के मन्च पर संयुक्त रूप सँ प्रस्तुति देखबाक अवसर काठमांडुक विशाल मैथिलीभाषी जनमानस केँ देल जायत, तहिना मैथिली भाषाक संग-संग मिथिला संस्कृति ओ सभ्यता एवं पहिचान केँ सदा-सनातन संरक्षित रखबाक लेल विभिन्न सत्र मे विचार गोष्ठी, कवि गोष्ठी, विद्वत् सभा आदि कार्यक्रम सेहो रखबाक जानकारी प्रशान्त करौलनि अछि।
विद्वान् लोकनि द्वारा मिथिलाक १३म आ १४म शताब्दीक राजनीतिक, सामाजिक, सहित्यिक आ ओही समयक मिथिलाक सामाजिक – राजनीतिक व्यवस्था पर व्याख्यान प्रस्तुत करता। आरो विविध बिषय पर चर्चा आर कार्यपत्र आदिक प्रस्तुति कैल जेबाक जानकारी निराजन झा करौलनि अछि। एहि सब वास्ते समुचित संयोजन कार्य आरम्भ कैल जा चुकल अछि ओ कहलैन।
अाइ अपन फेसबूक केर वाल पर इभेन्ट बनबैत प्रशान्त अर्जुन झा एहि आयोजन मे स्वयंसेवक केर रूप मे सेहो आम मैथिल जनमानस सँ जुड़बाक अपील केलैन अछि। प्रतेक ६० मिनट केर कार्य वापत स्वयंसेवा देनिहार केँ ५० टाका पारितोषिक रूप मे प्रदान कैल जेबाक जनतब दैत ओ कहलैन जे कार्यकर्ता कतहु खाली पेट काज नहि करैथ बल्कि जोश आ उत्साह सँ भरिकय अपन मातृभाषा ओ मातृभूमि लेल काठमांडु मे हमरा सबकेँ संग दैथ। स्वयंसेवा देबाक लेल इच्छूक व्यक्ति एहि लिंक सँ फारम डाउनलोड करैत भैरकय पठा सकैत छथि।
नेपाली साराशंः उपयूक्र्त वाक्याशं शुद्ध मैथिलीमा लेखिएको एउटा निमन्त्रणा हो, मैथिली साहित्यका महाकवी विधापतिको यहि सन् २०१६ को नोवेम्वर ११ र १२ का दिन विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाउन लागरिहेकोमा सादर निमन्त्रणा छ ।
यस उत्साहजनक कार्यक्रममा सहभागी हुन चाहनेहरुले कृपया यो तल दिइएको गुगल फर्ममा आफ्ना जानकारीहरु भरिदिनुहोला ।
https://docs.google.com/forms/u/0/d/1be7Yq61Io-09sGjDx4a5Z2Dyq8X0eU43Z7MxIGVU6OU/viewform?edit_requested=true
Liked by: